← Back to Recipes
Sweets

मखानक खीर

Makhana Kheer

⏱️Prep: 5 mins
🔥Cook: 25 mins
🍽️Serves 4

🥘 Ingredients

  • २ कप मखान
  • १ लीटर फुल क्रीम दूध
  • १/२ कप चीनी (या गुड़)
  • १ बड़का चम्मच घी
  • १/२ छोट चम्मच इलायची पाउडर
  • कटल मेवा (बादाम, काजू, पिस्ता)
  • केसर (इच्छानुसार)

👩‍🍳 Instructions

1

कड़ाही में घी गर्म करू आर मखान के कुरकुरा होय तक भुजू।

2

भुजल मखान के एक तिहाई हिस्सा दरदरा क क कूटि लिय। बाकी के साबुत राखू।

3

एकटा भारी पेंदी वाला बर्तन में दूध खौलाउ। आंच कम क क एकरा तनी गाढ़ होय दिय।

4

खौलैत दूध में भुजल मखान (साबुत आर कुटल) द दिय।

5

कम आंच पर १०-१५ मिनट तक पकाउ जब तक मखान नरम नहि भ जाय आर दूध गाढ़ नहि भ जाय।

6

चीनी, इलायची पाउडर आर मेवा दिय। २-३ मिनट आर पकाउ।

7

आंच बंद क दिय। गरम या ठंडा क क परसू।

💡 Cultural Significance

मिथिला में मखान के शुभ मानल जायत छैक आर ई विवाह-डांगा आर पावनि-तिहार में अक्सर बनाओल जायत छैक।

योगदानकर्ता

✍️Mithilalegacy Team