प्रमुख स्थल

बोनही महादेव (धरौरा)

📍 धरौरा, बेनीपुर, दरभंगा

बोनही महादेव (धरौरा)

बेनीपुर प्रखंडक धरौरा गाम मे स्थित बोनही महादेव मंदिर आस्थाक एकटा अद्भुत केंद्र थिक, जतय बाबाक पूजा एकटा प्राचीन पीपर गाछक नीचाँ होइत अछि। 'बोंही' क अर्थ भेल 'बन (वन) मे रहय वाला महादेव'। ई स्थान 'दरोगबा बान्ह' (Darogba Bandh) क किंवदंती लेल प्रसिद्ध अछि। कहल जाइत अछि जे एकटा निःसंतान दारोगा पुत्र प्राप्ति लेल मंदिर बनेबाक मन्नत मंगने छलाह। मन्नत पूरा भेला पर जखन ओ मंदिर लेल पीपर गाछ कटबै लागलाह, तँ गाछ सँ खूनक धारा बहय लागल। बाद मे पुजारी केँ स्वप्न मे महादेव कहलन्हीं जे हमरा एही गाछक नीचाँ रहय दिअ। तखन ओ दारोगा मंदिरक बदला गामक लेल एकटा सड़क बनेलन्हीं, जेकरा आइयो 'दरोगबा बान्ह' कहल जाइत अछि। एतय नरक निवारण चतुर्दशी पर भारी मेला लगैत अछि।

योगदानकर्ता

✍️Mithilalegacy Team

अहाँक ई हो पसंद आबि सकैत अछि