मिथिला धरोहर: विरासत आ स्मारक
दरभंगा किला
📍 Mithila

दरभंगा किला, जकरा 'राज किला' सेहो कहल जाइत अछि, खंडवाला राजवंश (दरभंगा राज) क शौर्य आ समृद्धिक प्रतीक थिक। एकर विशाल लाल दीवारें दिल्लीक लाल किला सँ प्रेरित अछि। ८५ एकड़ मे पसरल एहि किला मे कतेको भव्य महल, मंदिर आ बगीचा छल। किला मे अवस्थित 'सिंह द्वार' एकर मुख्य आकर्षण अछि। ई किला न केवल एकटा रक्षात्मक संरचना छल, बल्कि ई मिथिलाक बौद्धिक आ सांस्कृतिक गतिविधियक केंद्र सेहो रहल अछि। कतेको दशक धरि ई किला क्षेत्रक राजनीति आ प्रशासनक धुरी रहल।
योगदानकर्ता
✍️Anish Jha

