प्रमुख स्थल

गांडीवेश्वर नाथ (शिवनगर)

📍 शिवनगर, बेनीपट्टी, मधुबनी

गांडीवेश्वर नाथ (शिवनगर)

गांडीवेश्वर नाथ मंदिर (शिवनगर), बेनीपट्टी सँ १२ किमी दूर, महाभारत कालीन एकटा ऐतिहासिक स्थल थिक, जेकरा पहले गांगेय या गंडेश्वर कहल जाइत छल। मान्यता अछि जे अज्ञातवास क दौरान पांडव एतय अर्जुनक 'गांडीव' धनुष एकटा विशाल शमी गाछक धोधर मे नुका के रखने छलाह। ओकर सुरक्षा लेल नकुल गाछ पर एकटा लाश टांगि देने छलाह जाहि सँ गंध क कारण कोई लग नहि आबै। अर्जुन पशुपतास्त्र लेल एतय तपस्या कएने छलाह आ बाद मे युद्ध सँ पहिने बाण मारि क 'गंगा' प्रकट कएने छलाह। परिसर मे ८ टा मंदिर अछि, जाहि मे पच्छिम मुखी मुख्य गांडीवेश्वर शिवलिंग (५००० ई.पू.), १५ फीट नीचाँ अद्भुत गौरीशंकर मंदिर (जे पानि मे डुबल रहैत अछि), काल भैरव आ प्राचीन शिलालेख वला सूर्य मंदिर शामिल अछि। कहल जाइत अछि जे महादेव एतय नित 'सवा पहर' विराजैत छथि।

योगदानकर्ता

✍️Anish Jha

अहाँक ई हो पसंद आबि सकैत अछि